Thursday, December 5, 2013

अप्रैल 2014मे होएत मिथिला फिल्म फेस्टिवल, गठित भेल सोसाइटी

सहरसा : मैथिलीक फिल्मक विकासक लेल बीतल बुधकेँ मिथिला फिल्म सोसाइटी केर गठन कएल गेल, जखन की अप्रैल 2014मे मिथिला फिल्म फेस्टिवलक आयोजन होएत। फिल्म निर्देशक मनोज झा श्रीपति, अभिनेता राहुल सिंहा, साहित्य फिल्मकर्मी किसलय कृष्ण, सुमन खां केर नेतृत्वमे बनल सोसाइटीमे अभय कुमार मनोज आ सुभाषचंद्र झा केँ उपाध्यक्ष, अनिल कुमार केँ सचिव, संजय सारथी केँ कोषाध्यक्ष, कश्यप वात्सल्य, अमित जयजय, प्रभात सिंहा, नंद शंकर आ रमेश पासवान केँ कार्यकारिणी सदस्य मनोनीत कएल गेल। पत्रकारसं गप्प करैत निर्देशक मनोज श्रीपति बतौलनि जे सोसाइटीक माध्यमे शहरमे फिल्म निर्माणसं संबंधित तकनीक केर जनतब आ प्रशिक्षण दऽ रोजगारक अवसर पैदा कएल जाएत, एहि लेल मुंबईसं विशेषज्ञकेँ बजाएल जाएत। अभिनेता राहुल सिन्हा कहलनि जे मैथिलीक विकास लेल आगामी अप्रैल 2014मे सहरसामे मिथिला फिल्म फेस्टिवलक आयोजन कएल जाएत जेकर तैयारी शुरू भऽ गेल अछि।

0 comments:

Post a Comment