Wednesday, December 4, 2013

रामजानकी विवाह पञ्चमी महोत्सव, फुलवारी लीला सम्पन्न

जनकपुरधाम : राम जानकी विवाह पञ्चमी महोत्सवक दोसर दिन फुलवारी लीला कार्यक्रम सम्पन्न भेल अछि । ओ अवसरमे राम जानकीक प्रतीकक रुपमे रहल राम लीलाक रामजानकीके विवाह मण्डपक प्रांगणमे रहल फुलवारीमे घुमाओल गेल छल। त्रेता युगमे भगवान राम आ जानकीक प्रथम भेट गिरिजा स्थानक फुलवारीमे भेल छल ओहिके संस्मरणमे फुलवारी लीला जनकपुरमे कएल जाइत अछि। फुलवारीमे राम आ लक्ष्मण घुमने छलथि एहिके क्रममे जानकीसंग भेट कराओल गेल छल। ओ भेट देखबाक लेल विवाह मण्डपमे स्थानीयवासीसभक भीड लागल छल। जानकी मन्दिरक महन्थ राम तपेश्वर दास वैष्णव कहलन्हि ओ दृश्य मिथिलाक पहिचान रहलासँ ओहिके विवाह पञ्चमी महोत्सवमे देखाओल जाएत अछि। फुलवारीमे लाल कार्पेट ओछाकऽ घुमाओल गेल ओ दृश्य देखए लाइक छल। स्वयं जानकी मन्दिरक महन्थ राम तपेश्वर दास वैष्णव आ सहायक महन्थ राम रोशन दास राम जानकीक बाटमे फुल छिटने रहथि। फुलवारी लीला पहिलबेर जनकपुरमे एहि प्रकारे कएल गेल अछि। भारतक गुजरातसँ विवाह पञ्चमी महोत्सव देखए जानकी मन्दिर पहुँचल पुनम खन्ना कहलीह फुलवारी लीलाक बहुत रोमाञ्चक दृश्य देखएके जनकपुरमे अवसर भेटल। ओ अवसरमे जनकपुरमे भजन किर्तन कएल गेल छल। महिलासभ विवाहक गीत सेहो गौने छलीह। सातदिवसीय विवाह पञ्चमी महोत्सवक पहिल दिन नगर दर्शन कार्यक्रम आ दोसर दिन फुलवारी लीला भेल तऽ तेसर दिन धनुष यज्ञ, चारिम दिन तिलकोत्सव, पांचमदिन मटकोर, छठम दिन शुभ विवाह आ सातमदिन रामकलेवा होएत। धनुष यज्ञ जानकी मन्दिरक प्राङ्गणमे होएत। ओ कार्यक्रमके विशेष तैयारी कएल जा रहल अछि। (समदिया : सुजीत कुमार झा)

0 comments:

Post a Comment