Monday, December 2, 2013

347 टा गाम बनत 'आदर्श गाम'

पूर्णिया/कटिहार : मिथिलाक 347 गामक दिन बदलय वला अछि। एहि गाम केँ विकसित करबा लेल सरकार एकर चयन आदर्श गामक रूपे केलक अछि। चयनित गाममे बिजली, सड़क, स्वास्थ्य, विद्यालय भवनसं लऽ शुद्ध पानि धरिक व्यवस्था रहत। 347 आदर्श गामकेँ विकसित करबा पर 69.4 करोड़ रुपया खर्च होएत। एकरा लेल सरकार पहिल चरणमे 32 करोड़ रुपया आवंटित कऽ देलक अछि। 2014 केर दिसम्बर धरि सभ आदर्श गामकेँ विकसित करबाक लक्ष्य अछि। की सभ भेटत सुविधा : # दू km पक्की सड़क # चारि कमराक स्कूल # दू कमराक स्वास्थ्य केन्द्र # निर्बाध रूपे बिजली आपूर्ति लेल ट्रांसफार्मर, पोल आ तार # शुद्ध पेयजल लेल आयरन रिमूवल प्लांट आ कल # पइनक निकासी लेल नाला आ कूड़ादान # सभ गाममे एकटा प्रवेश द्वार, जाहि पर आदर्श गाम लिखल ** कोन जिला कतेक गाम बनत आदर्श गाम ** # पूर्णिया 69 # अररिया 37 # किशनगंज 21 # कटिहार 59 # सहरसा 47 #सुपौल 20 # मधेपुरा 34 # खगड़िया 50

0 comments:

Post a Comment