Friday, December 6, 2013

नहि रहला संस्कृतक प्रख्यात विद्वान आद्याचरण झा

शेखपुरा/पटना : बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार संस्कृत भाषाक प्रख्यात विद्वान संगे कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय, दरभंगाक पूर्व कुलपति डां० आद्याचरण झाक निधन पर शोक व्यक्त केलन्हि। नीतीश शुक्रकेँ अप्पन शोक संदेशमे कहलनि जे स्व० झा संस्कृतक प्रख्यात साहित्यकार छलथि आ जीवन पर्यन्त ओ संस्कृत भाषामे लीन रहला। नीतीश कहलनि जे हुनक निधनसं संस्कृत साहित्य केँ अपूरणीय क्षति भेल अछि। बताबी जे संस्कृत भाषा आ व्याकरणक सुप्रसिद्ध विद्वान पंडित आद्याचरण झाक निधन शेखपुरा स्थित हुनक घर पर भऽ गेल। ओ 94 बरखक छलथि आ पछिला किछु माससं हुनक तबीयत खराब चलि रहल छल। बरख 1991 मे राष्ट्रपति ज्ञानी जैल सिंह द्वारा हिनका सम्मान पत्र देल गेल छल। झा राजस्थान संस्कृत अकादमीक अवैतनिक सदस्य सेहो छलथि।

1 comment:

  1. .श्रध्हांजलि एही महँ विद्वान् आ मैथिलीसेवी के .ई स्पष्ट नही भेल ओ ५ दिस्म्बा रक गत भेलाह वा ६ क से स्पष्ट करी

    ReplyDelete