मिथिला राज्यक मांग लऽ राष्ट्रवादी जनता पार्टी 30 केँ करत अनशन
सुपौल : मिथिला राज्यक गठनक मांग लऽ राष्ट्रवादी जनता पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष अनिल भारती 30 जनवरी केँ सहरसा प्रमंडलीय मुख्यालय पर अनशन करता। एहि अनशन मे उपाध्यक्ष देव नारायण ठाकुर, विश्व कबीर विचार मंचक राष्ट्रीय अध्यक्ष संत मनमोहन सेहो भाग लेता। पार्टीक महासचिव शरत किशोर पाण्डा प्रेस विज्ञप्ति जारी करैत जानकारी दैत कहलनि जे पार्टी मिथिला राज्य बनेबा लेल उत्तर बिहारक 13 जिला आ 5 अनुमंडल केँ मिला राज्य बनेबाक निर्णय लेलक अछि। मिथिला राज्य बनेबा लेल जनता केँ जागरुक करबाक लेल जिला संयोजक केँ दिशा-निर्देश देल गेल अछि। मिथिलाक लोक अन्न उपजौबैत छथि आ शेष बिहारक लोक मौज करैत छथि। जाबत धरि मिथिला राज्य नहि बनत ताबत धरि हमर सभक संघर्ष जारी रहत। एकरा लऽ कार्यकारिणीक गठन सेहो कऽ देल गेल अछि। जाहिमे प्रदेश संयोजक विनोद यादव, उपाध्यक्ष क्रमश: भोगी मंडल, सुरेश गांधी, सुखदेव पासवान, कुशेश्वर पौद्दार, विनोद साह, विजेन्द्र पौद्दार आ महासचिव विनोद यादव, कृष्णकांत भंडारी, अभिषेक झा, सीताराम पौद्दार, मो. युनूस, अशोक कुमार, अमित सुमन के बनाएल गेल अछि।
0 comments:
Post a Comment