नई दिल्ली : 65म गणतंत्र दिवसक पूर्व संध्या पर भारत सरकार 101 गोटे केँ पद्मश्री पुरस्कार सं सम्मानित करबाक निर्णय लेल गेल जाहि मे कोइलख, मधुबनीक डा॰ मोहन मिश्र केँ बरख 2014 क भारत सरकार द्वारा पद्मश्री सं सम्मानित कएल जाएत। इ पुरस्कार हिनका चिकित्सा क्षेत्रमे महत्वपूर्ण योगदान देबा लेल देल जाएत। हिनका द्वारा लिखल कतेको पोथी विश्वप्रसिद्ध अछि। इ अखनो समाज सेवा मे लागल छथि।
बताबी जे एहि बेरक 101 टा पद्मश्री, 24 टा पद्मभूषण आ 2 टा पद्मविभूषण सम्मान मे मात्र एकटा बिहार राज्यक हिस्सा लागल ओहो मिथिला क्षेत्रमे। मैथिल केँ इ पुरस्कार भेटला पर मिथिलावासीक प्रसन्नता देखला जा सकैछ अछि।
मिथिला प्राइम डा॰ मोहन मिश्र के शुभकामना दैत अछि।
0 comments:
Post a Comment