बृहस्पति सं स्टेडियम लग राष्ट्रीय अध्यक्ष अनिल भारती आ उपाध्यक्ष देव नारायण ठाकुर द्वारा अनशन शुरू कएल गेल छल। दोसर दिन अनशन स्थल पर पार्टीक मिथिला प्रदेश अध्यक्ष विनोद यादव, उपाध्यक्ष भोगी मंडल, महासचिव रामकृष्ण पौद्दार, सचिव सुखदेव लगाइत कतेको लोक पृथक मिथिलाक समर्थन केलनि। पार्टीक अध्यक्ष कहलनि जे इ क्षेत्र अखन धरि पाछू अछि। मिथिला राज्यक गठन सं एहि क्षेत्रक विकास होएत। जौँ राज्यक गठन होएत, तऽ शिक्षा, स्वास्थ्य, सड़क, बिजली, आवागमन मे मिथिला शीर्ष पर जाएत। ओ कहलनि जा धरि मिथिला राज्य गठन नहि होएत ता धरि लगातार आंदोलन होइत रहत।
0 comments:
Post a Comment