Tuesday, January 28, 2014

दूरस्थ शिक्षा सं जुड़य मैथिली : राइज फॉर मिथिला

दरभंगा : मैथिली केँ संविधानक अष्टम सूची मे स्थान भेटलाक 10 बरखक बादो अखन
धरि मिथिलाक शैक्षणिक ह्रदयस्थली ललित नारायण मिथिला
विश्वविद्यालयक दूरस्थ शिक्षा मे मैथिली केँ एकटा विषयक रूपे नहि जोड़ल गेल अछि। दूरस्थ शिक्षा मे मैथिली के जोड़बाक लेल राइज फॉर मिथिलाक टीम लनामिवि विश्वविद्यालय कुलपति आ दूरस्थ शिक्षा निदेशक केँ एकटा
मांगपत्र बीतल 20 जनवरी कऽ देल गेल जाहि मे मास भरिक भीतर विश्वविद्यालय
प्रशासन सऽ एहि सन्दर्भ मे लिखित रूपे स्थिति स्पष्ट करवाक आग्रह कएल
गेल अछि अन्यथा दरभंगाक चौरंगी पर राजीव झाक नेतृत्व मे द्वारा राइज फॉर
मिथिलाक तत्वाधानमे अनिश्चितकालीन अनशन कएल जाएत। संस्थाक कहब अछि जे एहि सं पहिलहो विश्वविद्यालय प्रशासन के एहि मादे ज्ञापन देल गेल अछि मुदा एहि दिशा मे कोनो सकारात्मक
डेग अखन धरि नहि उठायल गेल अछि। बताबी जे पिछला बरख मैथिली राखि 7 गोट छात्र UPSC परिक्षामे सफल भेल छलथि आ ओकरा बाद सं विद्यार्थीक रूचि मैथिली प्रति बढ़ल जा जा रहल अछि। संस्थाक कहब अछि जे बिहार सरकार जाहि तरहें मैथिली भाषा कें उपेक्षित कय रहल अछि ताहि विरूद्ध संस्था आवाज उठौलक अछि।

0 comments:

Post a Comment