Saturday, January 18, 2014

मिथिला राज्य निर्माण सेनाक राष्ट्रीय स्तरक संगोष्ठीक तैयारी अंतिम चरणमे

नई दिल्ली : मिथिला राज्य निर्माण सेना मिथिला राज्यक गठनक लेल लगातार कार्यक्रम, आंदोलन, संगोष्ठी आदि कऽ रहल अछि आ ताहि डेग केँ आगू बढ़ौबैत काल्हि अर्थात् 19 जनवरी केँ राष्ट्रीय स्तरक एकटा संगोष्ठी " मिथिला राज्य निर्माण आन्दोलन : दशा आ' दिशा" करय जा रहल अछि। इ कार्यक्रम, डिप्टी स्पीकर हॉल, कांस्टिट्यूशन क्लब नई दिल्लीमे होएत जाहिमे भाग लेबा लेल भारतक कोन-कोन सं मिथिलावासी पहुंचि रहल छथि। एहि कार्यक्रम मे मिथिलाक सांसद आ विधायक सेहो पहुंचता जे मिथिला राज्य पर अप्पन विचार रखता। इ कार्यक्रम दुपहरियाक 2 बजेसं शुरु भऽ सांझक 8 बजे संपन्न होएत। कार्यक्रमक तैयारी अंतिम चरणमे अछि, मिथिला राज्य निर्माण सेनाक कार्यक्रम केँ सफल बनेबामे लागल छथि।

एहि मौका पर मिथिला राज्य निर्माण सेना अप्पन वेबसाइट सेहो लांच करत।

0 comments:

Post a Comment