मिथिला मिथिलाक टीम जिलाक किसानक समस्या आ बंद पड़ल चीनी मिल केँ फेरो चालू करेबाक मांग लऽ जिलाक टाउन हाउलक सोँझा शनि केँ धरना देलक। एहि कार्यक्रमक अध्यक्षता अरविन्द कुमार मिश्र केलनि। धरनामे गणेश मंडल, चन्द्र प्रकाश कर्ण, चेथरू यादव, रामवीर यादव, विमल दास, कवि एकांत, श्रीनारायण सिंह कुशवाहा, शकुंतला देवी आदि उपस्थित छलथि।
धरनाक बाद टीमक प्रतिनिधिमंडल डीएम केँ मांग पत्र देलक जाहिमे लोहट, रैयाम आ सकरी चीनी जल्द चालू होए, किसान केँ फसल बीमाक उचित राशि भेटय आ डीजल अनुदान राशिक भुगतान यथाशीघ्र होए, KCC ऋण भेटला मे भेल धांधलीक जांच होए आदि मांग छल।
राइज फॉर
मिथिला बिहार सरकार के चेतौनी दैत साफ शब्दमे कहलक जे जौँ सकरी, रैयाम आ लोहट चीनी मिल नहि चालू भेल आ किसान केँ अप्पन अधिकार नहि भेटत तऽ जोरदार आंदोलन होएत।
0 comments:
Post a Comment