एहि मौका पर भाजपाक राष्ट्रीय उपाध्यक्ष आ राज्यसभा सदस्य प्रभात झा मिरानिसे केर वेबसाइट ‘डब्ल्यू डब्ल्यू डब्ल्यू डॉट एमआरएनएस डॉट इन’ केर लोकार्पण केलनि आ कहलनि जे जेना मैथिली अष्टम अनूसूचीमे गेल तहिना मिथिला राज्य सेहो जल्दिये बनत। ओ कहलनि जे जखन छत्तीसगढ़, झारखंड आ उत्तराखंड राज्य बनि सकैत अछि तखन फेर मिथिला कियैक नहि ? ओ पुनौरा धाम, सीतामढ़ीमे जानकी मंदिर बनेबा पर जोर दैत कहला जे अयोध्यामे राममंदिर तऽ विवादित क्षेत्र अछि मुदा पुनौरा धाम नहि। ओ साफ शब्दमे कहलनि जे, जे मैथिल मिथिला राज्यक समर्थक नहि ओ मैथिल नहि छथि। मौका पर दरभंगाक सांसद कीर्ति झा आजाद कहलनि जे मैथिल युवा अप्पन अधिकारक लेल सजग छथि, इ सुखद संकेत छथि। ओ कहलनि जे जौँ अटल जीक उत्तराधिकारी एहि बेर प्रधानमंत्री बनला तऽ मिथिला राज्य बनबे टा करत।
एहि मौका पर भारत भूषण, संजय झा, संजय झा नागदह, आरती झा, संजय मिश्रा, राजेश राय, अनूप चौधरी, भवेश नंदन, गणेश मैथिल, संजय मिश्रा, कमलेश मिश्र, प्रकाश झा, दीपक साह आदि सेहो मिथिला राज्य निर्माणक दशा आ दिशा पर खुलि कऽ विचार रखलनि। कार्यक्रमक संचालन आशुतोष झा केलनि।
0 comments:
Post a Comment