संसद भवनमे मिथिलाक सभासद सभक मैथिली प्रेम देखए लायक छल।
शरद सिंह भण्डारी नेतृत्वक राष्ट्रिय मधेश समाजवादी पार्टी मैथिलीमे सपथ ग्रहण करबाक लेल सभासद सभके ह्वीप जारी कएने छल ।
ओ पार्टीक तिनु सभासद मैथिलीमे सपथ लेलन्हि अछि । ओ पार्टीक निरजला राउत, दिनेश साह आ धर्मेन्द्र साह सपथ लेलाकबाद कहलन्हि मातृभाषाक सवालपर कोनो सम्झौता नहि ।
तराई मधेश लोकतान्त्रि पार्टीक डा. विजय कुमार सिंह आ इन्दिरा झा मैथिलीमे सपथ लेलन्हि अछि ।
डा. सिंह संसदमे धोती कुर्ता पहिरकऽ गेल छलथि ।
मिथिलाक राजधानी जनकपुरसं जीत कऽ गेल सभासद कोन भाषामे सपथ लेता उत्सुक्ताक विषय छल ।
मुदा मैथिलीक दृष्टिसं निराशा रहल ।
जनकपुरक सभासद सञ्जय कुमार साहक हिन्दी प्रेम संसदोमे देखल गेल । ओ हिन्दी भाषामे सपथ लेलन्हि अछि । ओ पार्टीक माधवी रानी साह सहित सभ सभासद हिन्दीमे सपथ लेलन्हि अछि ।
किछु गोटेके सपथ लेबएमे प्रक्रियागत त्रुटी देखल गेल होइतो ओ मैथिलीमे सपथ लेलन्हि अछि ।
नेकपा एमालेसं सभासद रहल शत्रुधन महतो आ एकीकृत नेकपा माओवादीसं सभासद रहल राम सिंह यादव कोन भाषामे सपथ लेब से नहि लिखएलाक कारण सही नेपालीमे आ पढलन्हि मैथिलीमे ।
कोन भाषामे सपथ ग्रहण करब तकर जानकारी एक दिन पहिने कराबएके नियम भेलाक कारण ओ सभ सोमदिन संसदमे जानकारी नहि करेलाक कारण प्रक्रियागत त्रुटी भेल सभासद राम सिंह यादव स्वीकार कएलन्हि अछि ।
इहे स्थिति शत्रुधन महतोक सँग भेल छल । महतो मंगलदिन मात्र काठमाण्डू पहुँचल छलथि । नेपाली काँग्रेसक सभासद राम कृष्ण यादवके सपथ ग्रहणमे सेहो प्राविधिक त्रुटी भेल बतौलन्हि अछि । ओहो सपथ मैथिलीमे पढने होइतो सपथपर सही नेपालीबलापर कएलन्हि अछि ।
नेकपा एमालेसँ पहिल बेर सभासद बनल शीतल झा दौरा सुरुवाल पहिर कऽ संसद पहुँचल छलथि ।
(समदिया : सुजीत कुमार झा, जनकपुर)
0 comments:
Post a Comment