सहरसा : मैथिलीक प्रतिष्ठित साहित्यकार भीमनाथ झा केँ प्रबोध साहित्य सम्मान 2014 सं सम्मानित कएल गेल अछि। बताबी जे प्रबोध साहित्य सम्मान मैथिली क्षेत्र मे साहित्य आ लेखनक लेल देल जाइत अछि। बीतल रवि केँ स्थानीय विद्यापति नगर स्थित स्वास्तिक फाउंडेशन परिसरमे आयोजित एकटा समारोह मे हुनका प्रो उदय नारायण सिंह, डॉ सुभाष यादव आ फाउंडेशनक प्रबंध न्यासी प्रो अभय नारायण सिंहक द्वारा ई सम्मान देल गेल। पुरस्कार स्वरूपे डा॰ झा केँ एक लाख रुपया आ प्रशस्ति पत्र प्रदान कएल गेल।
0 comments:
Post a Comment