Monday, February 24, 2014

उत्तर प्रदेश मे बनय मैथिली अकादमी : धनाकर ठाकुर

बुलंदशहर : मैथिली ब्राह्मण महासभा एकता मंचक बीतल रवि केँ शांति वाटिका होममे कार्यक्रम सम्पन्न भेल जाहिमे संगठनक पदाधिकारी उत्तर प्रदेश सरकार लग अप्पन मांग रखलनि। सम्मेलनमे 30 नवंबर केँ विद्यापति जयंती पर सार्वजनिक अवकाश घोषित करबाक मांग यूपी सरकार सं कएल गेल।

कार्यक्रम केँ संबोधित करैत मुख्य अतिथि छत्रपाल शर्मा व्यास कहलनि जे सरकारसं कतेको बेर 30 नवंबर केँ विद्यापति जयंतीक अवसर पर सार्वजनिक अवकाश घोषित करबाक मांग कएल गेल, मुदा सरकार एहि पर ध्यान नहि दऽ रहल।

अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषदक प्रवक्ता डॉक्टर धनाकर कहलनि जे उत्तर प्रदेशमे मैथिली अकादमी बनबाक चाही। सरकारसं संगठन अकादमीक लेल जमीन मंगैत अछि, सरकार केँ एहि पर गौर करबाक चाही।

सम्मेलनमे कमलकांत झा, सरवन झा, वीना शर्मा मौजूद आदि उपस्थित छलथि।

0 comments:

Post a Comment