समदिया : राकेश सिँह, आसनसोल
आसनसोल : मिथिला चेतना परिषदक तत्वाधानमे 23 फरवरी केँ विद्यापति पर्व समारोह मनाएल गेल। विशिष्ट अतिथिक रुपे मैथिल पुत्र प्रदीप संगे हेमा मिश्रा, पूनम झा, रामबाबू झा, डी डी बिहारक गायक सोरेन्दर यादव, रामाश्रय ठाकुर अप्पन प्रस्तुति देलैनि।
कार्यक्रमक मुख्य अतिथि आसनसोलक चेयरमैन मंच सं वचन देलन्हि जे मिथला भवन 2015 धरि बनत जाहि पर कोनो कारपोरेशन चार्ज नहि लेत बिलडिँग बिल पास करायब आ आसनसोलमे एकटा मार्गक नाम विद्यापति मार्ग होएत, आ सभ बरख विद्यापति पर्व मनाएल जाएत। कार्यक्रम स्थल लग पटना सं मैथिली पोथीक संग कैसैट सेहो उपलब्ध छल।
मौका पर आसनसोल मिथिला चेतना परिषद्क अध्यक्ष श्री नारायण झा , संरक्षक श्री शिवकान्त मिश्र आ आसनसोल चेम्बर ऑफ कामर्सक अध्यक्ष संग गोष्ठीक सचिव श्री संभू नाथ झा आदि उपस्थित छलथि।

![]() |

0 comments:
Post a Comment