दरभंगा : राइज फॉर मिथिला द्वारा ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयमे दूरस्थ
शिक्षामे मैथिली विषय के सम्मिलित करेबाक मांग संग-संग स्थानीय मुद्दा
ल शहरमे पदयात्रा दोसरो दिन जारी रहल । बताबी जे राइज फॉर मिथिला टीम द्वारा विगत 21 एवं 22 फ़रवरीक विश्वविद्यालय स्थित धरना स्थल पर दू दिवसीय धरना के बाद 28 फ़रवरी क
अनिश्चितकालीन अनशन पर बेसबा स पहिने 5 दिनक जन जागरण लेल पदयात्रा के
माध्यम स क्षेत्रक जनता स समर्थन मंगल जा रहल अछि।
ललित नारायण मिथिला
विश्व विद्यालय के दूरस्थ शिक्षा मे मैथिली विषय के सम्मिलित करेबाक मांग
पर अनिश्चितकालीन अनशन पर बैसबाक निर्णय केनिहर एवं राइज फॉर मिथिला
राष्ट्रीय संयोजक सह संस्थापक सदस्य राजीव झा कवि एकांत एवं संयोजक सदस्य
विकास कुमार सहित अन्य सदस्यगण जनता के बीच एहि पदयात्रा के माध्यम स
समर्थन मांगी रहल छथि l
21 फ़रवरी स प्रस्तावित कवि एकान्तक अनशन विश्व विद्यालय
प्रशासन के अनुरोध पर 28 फ़रवरी स कयल जेबाक निर्णय कयल गेल अछि। प्रमुख
माँगकक संग–संग राइज फॉर मिथिला टीम दरभंगाक स्थानीय समस्या लेल
सेहो आवाज़ उठा रहल अछि जाहि मे IIIT College जे दरभंगा स ३ जुलाई क बिहटा स्थान्नातरित
करवाक घोषणा कयल गेल अछि तेकरा अबिलम्ब निरस्त कयल जाई जाहि स दरभंगा एवं
लगक छात्र सभ लेल अंतर्राष्ट्रीय स्तर के शिक्षण के संभाबना खुजय, दरभंगा मेडिकल कॉलेज एंड अस्पताल के आधुनिकीकरण कएल जाय एवं सुपर
स्पेशलिटी अस्पताल बनाओल जाई जाहि स सम्पूर्ण मिथिला वासी के सस्ता एवं
बेहतर स्वस्थ्य सुविधा उपलब्ध हो, दरभंगा केर हडाही,
दिग्घी एवं गंगासागर पोखैर सहित समस्त प्रमुख पोखरिक उन्नयन एवं
सौन्दर्यीकरण कयल जाय, ऐतिहासिक दरभंगा किलाक संरक्षण, संबर्धनक दिशा मे सार्थक पहल कयल जाय, प्राथमिक विद्यालय मे मैथिली शिक्षक के बहाली होय जाहि स रोजगार एवं
शिक्षा के अवसर क्षेत्रक लोक के भेट सकय आदि मांग प्रमुख अछि।

0 comments:
Post a Comment