Friday, February 21, 2014

22 फरवरी सं चलत सीतामढ़ी-रक्सौल रेलखंड पर ट्रेन


सीतामढ़ी/रक्सौल : छौड़ादानो-रक्सौल रेलखंड पर 22 फरवरी सं ट्रेन चलय लागत। एहि सं मिथिलावासीक चिर प्रतीक्षित मांग पूर्ण भऽ जाएत। बताबी रेलराज्य मंत्री अधीर रंजन चौधरी 22 फरवरी केँ सहरसा सं वीडियो कांफ्रेसिँग कऽ ट्रेनक परिलाचन शुरु करता।


डिप्टी चीफ इंजीनियर निर्माण संजय कुमार बतौलनि जे रेल मंत्रालय कार्यक्रमक तैयारी कऽ लेलक अछि। ओ बतौलनि जे रक्सौल आ छौड़ादानो स्टेशन पर कार्यक्रमक आयोजन कऽ ट्रेनक परिचालन शुरु कएल जाएत। ओ बतौलनि जे छौड़ादानो धरि चलि रहल तीन जोड़ी सवारी गाड़ीक विस्तार रक्सौल धरि होएत, संगे पैघ दूरी चारि टा ट्रेनक परिचालन सेहो होएत। एहि रेलखंड पर नई दिल्ली आ मुबंई लेल ट्रेनक परिचालन शुरु भऽ सकैत अछि।

बताबी जे रक्सौल-सुगौली रेलखंड पर इंटर लाकिँग केर काज पूरा भऽ गेल अछि, जल्दिये सुगौली धरि चलय वला ट्रेनक विस्तार रक्सौल धरि भऽ जाएत।

1 comment: