Friday, February 21, 2014

सुपौल बनत आपदा प्रबंधनक फोर्स केँद्र

पटना : सुपौल केँ आपदा प्रबंधन फोर्सक केंद्र बनाएल जाएत। बाढ़ प्रभावित जिलामे राहत आ बचावक काज तेजीसं करबा लेल आपदा प्रबंधन विभाग सुपौलमे स्थायी रूप सं NDRF क कंपनी तैनात करबाक निर्णय लेलक अछि। एकर काज बाढ़ि ऐला पर बचाव काज शुरू करबाक अछि। NDRF(नेशनल डिजास्टर रिस्पांस फोर्स) क नवम बटालियनक मुख्यालय पटना जिलाक बिहटा मे अछि। बाढ़ि ऐला पर एतहि सं बाढ़ि प्रभावित जिलामे NDRF क कंपनी जाइत अछि। एहि प्रक्रियामे एक-दू दिनक समय लागि जाइत अछि आ ताबत धरि कतेको लोक मरि जाइत छथि। आपदा प्रबंधन विभागक सलाह पर NDRF क टीम किछु दिन पहिले मिथिलाक बाढ़ि प्रभावित क्षेत्रक भ्रमण केने छल। सुपौलक थुमहा गांवमे NDRF कंपनी रखबाक लेल जगह देखलक अछि। विभागक विशेष कार्य पदाधिकारी विपिन कुमार राय सुपौलक डीएम केँ पत्र लिखि थुमहा मे दस हजार वर्गफीट जमीन देबाक मांग केलनि। विभागक कोशिश अछि जे NDRF क एकटा कंपनी एहि बरख बाढ़ि ऐबा सं पहिले उपलब्ध करा देल जाए।

0 comments:

Post a Comment