Monday, February 3, 2014

दरभंगा अंतरराष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवल 8 फरवरी

दरभंगा : दरभंगा फ़िल्म क्लब दिससं  आगामी 8 सं 10 फरवरी धरि दोसर अंतरराष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवलक आयोजन कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय केर दरबार हॉल मे होयत। फेस्टिवलक आयोजनक संबंध मे जानकारी देबा लेल बीतल दिन प्रेस कॉन्फ्रेंस मे संयोजक ललित कुमार कुमार झा ई जनतब देलनि। सृस्टि स्कूल ऑफ़ डांस केर परिसर मे भेल प्रेस वार्ता  मे ललित कुमार झा बतौलनि जे एहि फेस्टिवल मे 758 टा फ़िल्मक आवेदन आयल ,जाहि मे 36 टा फिल्मक चयन स्क्रीनिंग लेल कयल गेल अइछ। फ़िल्म क्लबक पीरऒ अमन अभिषेक बतौलनि जे फेस्टिवल मे मिथिला लगाइत पूर्वी आ दक्षिण भारतीय फिल्मक प्रमुखता रहत। मौका पर फ़िल्म निर्देशक विजय कुमार कहलनि जे स्थानीय फिल्म के प्रमुखता देला स स्थानीय फिल्मक विकास होयत। मौका पर मेराज़ सिद्दीकी, विक्की चौधरी आदि उपस्थित छलथि।

0 comments:

Post a Comment