Wednesday, February 5, 2014

मिथिला राज्यक मांग लऽ भेल संसदक सोंझा धरना

नई दिल्ली : अखिल भारतीय मिथिला राज्य समितिक तत्वावधान मे जंतर-मंतर पर पृथक मिथिला राज्य गठन लेल जोरदार प्रदर्शन भेल। कार्यक्रमक मौका पर समितिक संयोजक अमरेंद्र झा साफ शब्द मे कहलनि जे, जौँ आब फरका मिथिलाक गठन मे आओर देरी भेल संपूर्ण बिहार बंद कएल जाएत। कार्यक्रम मे वक्तागण कहलनि जे अलग राज्य बनला सं मिथिलाक विकास होएत, संगे बेरोजगारीक समस्या केर समाधान होएत।
वक्तागणक कहब छल जे क्षेत्रक शैक्षणिक, आर्थिक आ औद्योगिक आजादी लेल पृथक राज्य बनाएब जरुरी अछि।
धरना-प्रदर्शनक उपरांत मिथिला राज्यक मांग लऽ राष्ट्रपति, प्रधानमंत्री आ कृषि राज्यमंत्री केँ ज्ञापन देल गेल। एहि धरनामे दिल्ली-एनसीआर लगाइत मिथिला धरि सं लोक सभ पहुंचल छलथि।

0 comments:

Post a Comment