जनकपुर : गुठी संस्थान केन्द्रीय कार्यालय जानकी मन्दिरक महन्थमे अप्पन मोनसं एकटा सामान्य साधुकेँ राखि मन्दिरक परंपरा उपर आक्रमण केलक अछि। जानकी मंदिर जनकपुरक मात्र नहि बल्कि सम्पूर्ण हिन्दूक आस्थाक केन्द्र रहल अछि।
एहनमे मन्दिरसं जुड़ल कोनो काज करबासं पहिले गुठी संस्थानके सोचब आवश्यक छल मुदा गुठीक कर्मचारीसं लऽ कऽ पदाधिकारी सभ पैसा देखिते कोनो निर्णय कऽ सकैत अछि तकर उदाहरण जानकी मन्दिरबला प्रकरणसं देखल जा सकैत अछि।
ओना गुठी केन्द्रीय कार्यालयक सिफारिस कार्यान्वयन होएत एहिमे सम्भावना कमे रहल अछि कारण जानकी मन्दिरक परम्पराके ओहिना नहि तोड़ल जा सकैत अछि।
देशमे गुठी मात्रे सभ किछु नहि अछि। कानुन अछि, सरकार अछि आ जनता सेहो।
जानकी मन्दिरके ट्रस्टमे लऽ जाएके निर्णय कएल जा सकैत छल मुदा ओहि दिस गुठीक पदाधिकारीके ध्यान नहि गेल मात्र किछु लाभक लेल जानकी मन्दिरक महन्थ सन गरिमामय पदके विवादमे आनि देल गेल अछि।
आखिर ई प्रकरण केँ सरकार छानबीन आयोग गठन कऽ सार्वजनिक करबाक आवश्यकता अछि।
एहिमे पैसाक गंध अत्यधिक देखल जा रहल अछि।
(समदिया : सुजीत कुमार झा, जनकपुर)

0 comments:
Post a Comment