फरीदाबाद : सूरजकुंड हस्तशिल्प मेला मे मिथिला पेंटिंग आकर्षकक केंद्र बनल अछि । मेलामे हैंडमेड कागज आ प्राकृतिक रंग सं बनल मिथिला पेंटिंगक बहुतो स्टॉल अछि जाहि मे मिथिला प्राइम क नजरि स्टॉल नंबर 857, 858, 796, 745, 915 आदि पर पड़ल।
स्टॉल नंबर 745 केर संचालक भोगेन्द्र पासवान बतौलनि जे ओ अखन रांची में रहैत छथि आ ओतहि रहि क मिथिला पेंटिंग बनाबय छथि। दरभंगा के मूल निवासी श्री पासवान बतौलनि जे अहि बेरक मेला मे मिथिला पेंटिंगक नीक बिक्री भ रहल अछि।
स्टॉल नंबर 796 केर मुन्द्रिका बतौलनि जे ओ मधुबनी सा आयल छथि आ हुनका लग शिव , पार्वती ,राधा ,कृष्ण आदिक आकर्षक पेंटिंग छन।
स्टॉल नंबर 857 पर नवीन कुमार झा बैसल छथि आ ऒ घिबाही , राजनगर ,मधुबनी सं आयल छथि। एनाही स्टॉल नंबर 858 पर राजा कुमार , 915 पर शिव कुमार पासवान बैसल छथि।
0 comments:
Post a Comment