Thursday, February 6, 2014

जानकी मंदिर : महंथ प्रकरण

जनकपुर : गुठी संस्थान जनकपुर द्वारा जानकी मंदिरक महन्थमे जगदीश दासके नियुक्तिक प्रक्रिया गुपचुप रुपसं बुधदिन आगां बढ़ाबिए रहल समय ओकर कड़गर विरोध भेल छल।

विरोधक बाद गुठी कार्यालय प्रमुख दीपक पाण्डे गलती भेल कहि पुनः एहन काज नहि करब कहलाक बाद नियुक्ति प्रक्रिया रुकल अछि।
केन्द्रिय कार्यालयद्वारा सिफारिस कएल गेल व्यक्तिके जानकी मन्दिरक महन्थमे तत्काल नियुक्ति नहि करबाक सहमति भेलाक बादो गुठीक जनकपुर कार्यालय प्रमुख पाण्डेद्वारा नियुक्तिक प्रक्रिया आगां बढ़ाओल गेल छल।
कार्यालय प्रमुख पाण्डे राममणिक नामसं केन्द्रसं पठाओल गेल पत्रकेँ आगां बढ़ेबाक निर्देश देलन्हि आ एकर बाद राममणि मनोज शर्माकेँ नामसं पत्र आगां बढ़ौने छलथि आ आगां बढाबएबला काज तत्काल रोकि देल गेल अछि।
दीपक पाण्डे पर रत्न सागर मन्दिरक महन्थ बैकुण्ठ दासक भारी दबाब रहल अछि जे कोनो हालतमे अपन सहयोगी जगदीश दासकेँ महन्थ नियुक्त कऽ देबाक लेल।
सूत्रक मानी तऽ बैकुण्ठ दास जगदीश दासकेँ जानकी मन्दिरक महन्थ बनाबए लेल दीपक पाण्डे मार्फत गुठी संस्थान केन्द्रीय कार्यालयमे गप्प मिलौने छलथि।
कहल जाइत छैक नव महन्थ बनाबए लेल लाखो रुपैया खर्च भेल अछि।
(जनकपुर सं सुजीत कुमार झा क समाद)

0 comments:

Post a Comment