सहरसा : संत कारु खिरहरि स्थल महिषी आ विषहरी स्थान दिवारी केँ पर्यटन स्थलक रूपे विकसित करबाक लेल चारि-चारि करोड़ रुपयाक योजनाक प्रस्ताव बना सरकार केँ पठाएल गेल अछि। कारू खिरहरि स्थान मे नदी दिस सं सीढ़ी घाटक निर्माण आ दिवारी स्थानमे दीवारक निर्माणक संग दुनू ठाम पर विवाह भवन, पर्यटन भवन आ शौचालयक निर्माण होएत
बताबी जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 17 अक्टूबर केँ उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सवक मंच सं उग्रतारा शक्तिपीठ जेँका कारू खिरहरि स्थल आ विषहरी स्थान दिवारी केँ पर्यटन स्थलक रूपे विकसित करबाक घोषणा केने छलथि आ ओहि दिन पर्यटन निदेशालयक पदाधिकारी दुनू ठामक निरीक्षण केलनि। बीतल बृहस्पति केँ आर्किप्लसक अभियंता विनोद कुमार सिंह दुनू ठाम केँ पर्यटन स्थलक रूपे विकसित करबाक लेल चारि-चारि करोड़ रुपयाक योजनाक प्रस्ताव पर सांसद दिनेश चंद्र यादव सं मिलि गप्प केलनि। सांसद कहलनि जे सरकारक मंजूरी लेल प्रस्ताव पठाएल जा रहल अछि आ जल्दिये एहि पर काज शुरू होएत।
![]() |

0 comments:
Post a Comment