नई दिल्ली : ट्रेन मे नशायुक्त पदार्थ खुआ लूटपाट करनिहार गिरोह सं यात्री केँ सचेत करबा लेल रेलवे स्टेशन पर विभिन्न भाषामे उद्घोषणाक योजना बनेलक अछि जेकरा अंतर्गत आनंद विहार टर्मिनल पर किछ दिन सं मैथिली मे उद्घोषणा कऽ यात्री केँ सचेत कएल जा रहल अछि।
आनंद विहार सं बिहार आ झारखंड लेल बहुतो ट्रेन चलैत अछि जेकरा ध्यानमे रखैत मैथिलीमे उद्घोषणा कऽ यात्री केँ गिरोह सं सचेत कएल जा रहल अछि। रेलवे पुलिस अधिकारीक कहब अछि मातृभाषामे बुझब आसान होइत अछि आ ताहिलेल एहि तरहक योजना बनाएल गेल अछि। यात्री सभ सेहो एकरा नीक डेग कहि रहल छथि।
चूंकि फगुआ लग अछि तैँ भीड़ बढ़ि गेल अछि आ एहन समय मे अपराधिक तत्व बेसी सक्रिय भऽ जाइत छथि तैँ यात्री केँ सावधान रहब जरूरी अछि।
आनंद विहार रेलवे स्टेशन सं भोजपुरी भाषा मे सेहो उद्घोषणा कएल जा रहल अछि।

ई बड़ निक खबर अइछ जे आब हमरा मैथिल भाई सबके सुचना बुझबा में बेसी कठिनाई नै हैत।
ReplyDelete