समदिया : सुजीत कुमार झा
जनकपुर : मैथिली चलचित्र निर्माण दिस युवा सभके आर्कषण बढ़ि रहल समयमे मैथिली चलचित्र निर्माण अभिमुखिकरण कार्याशाला गोष्ठी शुक्रदिनसं धनुषाक हारसरमे शुरु भऽ रहल अछि। सात दिवसीय ओ गोष्ठीमे धनुषा, महोत्तरी, सिरहा, सर्लाही, सप्तरी आ मोरंग जिलाक ४० गोटेक सहभागिता रहत।
चलचित्र विकास बोर्ड काठमांडू आ रंगदर्पण आयोजनामे २२ गत्ते धरि होबएबला ओ गोष्ठीमे चलचित्र निर्माण सम्बन्धमे डम्बर बहादुर क्षेत्री डब्बु, ध्वनी सम्बन्धमे आलोक तिवारी, चलचित्र छायांकन सम्बन्धमे सबनम मुखिया, चलचित्र सम्पादन सम्बन्धमे मिश्री लाल यादव आ मैथिली सांस्कृतिक सम्बन्धमे डा. राजेन्द्र विमल प्रशिक्षण देताह।
कार्याशालाक बाद परीक्षार्थीद्वारा तयार कएल गेल कथा सभमेसं पांचटा लघु चलचित्र निर्माण करबाक कार्यक्रम रहल रंगदर्पणक अध्यक्ष रितेश कुमार साह जानकारी देलन्हि अछि।

0 comments:
Post a Comment