Friday, February 28, 2014

समस्तीपुरक लेफ्टिनेंट मनोरंजन कुमार सिंधुरत्न दुर्घटना मे शहीद

समस्तीपुर/मुंबई : मुंबई सं लगभगि 80 km दूर समुद्रमे बुध केँ दुर्घटनाग्रस्त भेल पनडुब्बी आईएनएस सिंधुरत्नमे समस्तीपुरक पूसा रोड निवासी नौसेना केर लेफ्टिनेंट मनोरंजन कुमार शहीद भऽ गेला। भारतीय नौसेना बृहस्पति केँ हुनक मृत्युकक पुष्टि केलक। मनोरंजन केँ 2007 मे नेवी मे कमीशन भेटल छल।
नौसेनाक मानी तऽ, पनडुब्बीक नियमित परीक्षणक दौरान भोर 6.30 बजे बैटरी कंपार्टमेंटमे धमाका भऽ गेल जाहिसं फ्रीयॉन गैस निकलय लागल। मनोरंजन क परिवार अखन जमशेदपुरमे रहैत अछि। मनोरंजन क पिता सेनाक रिटायर्ड सूबेदार नवीन कुमार चौधरी बृहस्पति केँ रांची सं मुंबई पहुंचि गेला। ओ आइ सांझ धरि बेटाक पार्थिव शरीर लऽ जमशेदपुर पहुंचता। मनोरंजन दू भाई आ एकटा बहिन मे सबसं पैघ छलथि।

0 comments:

Post a Comment