Sunday, February 9, 2014

काल्हि सं चलत कटिहार हावड़ा एक्सप्रेस

कटिहार : केंद्रीय रेल बजट 2013 मे कयल गेल घोषनाक अनुरूप कटिहार-हावड़ा साप्ताहिक एक्सप्रेस ट्रेनक आरंभ 10 फरवरी सं कटिहार सं  होयत। इ जनतब केंद्रीय कृषि आ खाद्य प्रसंस्करण उद्योग राज्य मंत्री तारिक अनवर देलन्हि।  ओ कहलनि जे केंद्रीय रेल बजट 2013-14 मे
कटिहार सं  हावड़ाक बीच नव  साप्ताहिक ट्रेन चलेबाक गप्प  कहल गेल छल। लम्बा समय सं स्थानीय लोक एकर मांग क रहल छलथि।  कटिहार वासिक इ सपना 10 फरवरी क पूर्ण भ जाएत।

0 comments:

Post a Comment