Sunday, February 9, 2014

जौँ JDU एक्को टा सीट जीतल तऽ इस्तीफा दऽ देब : अश्विनी चौबे

भागलपुर/पटना : बिहारक पूर्व मंत्री आ भागलपुर विधानसभा क्षेत्र सं भाजपा विधायक अश्विनी चौबे शनि केँ कहलन जौँ एहि बरख लोकसभा चुनावमे प्रदेशमे सत्ताधारी पार्टी जेडीयू राज्यक 40 सीट मे एक्को टा सीट जीतल तऽ ओ विधायक पद छोड़ि देता।

गुजरातमे स्थापित होए बला लौह पुरुष सरदार वल्लभ भाई पटेलक प्रतिमा स्टैच्यू ऑफ युनिटीक लेल किसान सं लौह संग्रह लऽ शनि केँ पटनामे आयोजित एकटा राज्य स्तरीय सम्मेलन केँ संबोधित करैत प्रदेशक पूर्व एनडीए सरकारमे स्वास्थ्य मंत्री रहल अश्विवी चौबे इ गप्प कहलनि।
पटनाक श्रीकृष्ण मेमोरियल हाल मे राज्यसभा मे प्रतिपक्षक नेता अरुण जेटली लगाइत भाजपाक कतेको वरिष्ठ नेताक मंच पर रहैत ओ शनिवार केँ इ गप्प कहलनि।

0 comments:

Post a Comment