समस्तीपुर/मोतिहारी : दिसंबर 2017मे मिथिला मे एहन भूकंप आएत जाहिसं जान मालक एतेक क्षति होएत जेकक भरपाई केनाय असंभव सन होएत। एहि भूकंपक तीव्रता 1934 मे आएल भूकंप एतेक होएत।एकटा अंग्रेजी अखबारक मानी तऽ मोतीहारीक एकटा शिक्षक उमेश प्रसाद वर्मा अप्पन रिसर्चक आधार पर इ भविष्यवाणी केलन्हि।
हुनक कहब अछि जे रिएक्टर स्केल पर सात वा ओहिसं बेसी तीव्रताक भूकंप आबि सकैत अछि।वर्मा एहिसं पहिलहो कतेको भूकंपक भविष्यवाणी केने छथि आ हुनक भविष्यवाणी दुनिया भरिक भूकंपवैज्ञानिक ध्यान खींचलक अछि।वर्मा कहैत छथि जे नासा केर वैज्ञानिकक मानी ताऽ दिसंबर 2017 मे पैघ खगोलीय परिवर्तन होएत जेकर असर धरतीक जाहि क्षेत्र पर पड़त ताहिमे मिथिला सेहो अछि।वर्मा केँ कनिके दिन पहिले नीतीश कुमार द्वारा बिहार स्टेट इनोवेटिव काउंसिलक सदस्य बनाएल गेल अछि।ओ कहैत छथि जे भूकंपक भविष्यवाणी तऽ कएल जाइत अछि मुदा ओहिमे कम सफलता भेटैत अछि मुदा ओ एकटा एहन तकनीक विकसित केलन्हि जाहिसं भूकंपक सटीक भविष्यवाणी करब संभव होएत।हिनक एहि तकनीक केँ इंटरनेश्नल जर्नल ऑफ साइंस एंड इंजीनियरिंग मे छापल गेल अछि। एहि संबंधित कतेको लेख अंतर्राष्ट्रीय जर्नल्समे छपल अछि।पिछला मास ओ भारतमे भूकंपक भविष्यवाणी केने छलथि जे ठीक साबित भेल छल। (साभार : अमर उजाला सं)

ahen ahen samachar nai del karu
ReplyDelete