Tuesday, March 4, 2014

सीतामढ़ी-रक्सौलक बीच फेर सं परिचालन शुरू

सीतामढ़ी : सीतामढ़ी-रक्सौल क बीच सवारी गाड़ीक परिचालन सोम दिनसं विधिवत शुरू भऽ गेल। सोमदिन तीन जोड़ी सवारी गाड़ीक परिचालन शुरू भेल। बताबी जे आमान परिर्वतनक बाद बीतल 22 फरवरी केँ छौड़ादानों - रक्सौल रेलखंड पर परिचालन शुरू भेल छल मुदा
आदापुर आ रक्सौलक बीच पटरी धंसलाक कारणे परिचालन रद्द कऽ देल गेल छल। एहि बीच रक्सौल हैदराबाद आ रक्सौल-नई दिल्ली सद्भावना एक्सप्रेसक परिचालन चलैत रहल। नन इंटरलाकिंगक कज पूरा होएबाक बाद सोम सं एहि रेलखंड सवाड़ी गाड़ी परिचालन फेर शुरू भऽ गेल।

0 comments:

Post a Comment