Tuesday, March 4, 2014

जनकपुर बम कांडक होएत पर्दाफाश, धराएल मुकेश चौधरी

समदिया : सुजीत कुमार झा

जनकपुर :
मिथिला राज्य आंदोलनक क्रममे रामानन्द चौकपर भेल बम विस्फोटमे संलग्न रहल तराई विद्यार्थी लिबरेशन फ्रन्टक अध्यक्ष मुकेश चौधरी पकड़ा गेल अछि।
नेपाल पुलिसक मोस्ट वान्टेड सूचिमे रहल चौधरीके भारतीय पुलिस पकड़ि कऽ नेपालगंजमे नेपाल पुलिसकेँ सौँप देलक।
२०६९ बैशाख १८ गते जनकपुरक रामानन्द चौक पर भेल बम विस्फोटमे ५ गोटेके मृत्यु भेल छल तऽ ३२ गोटे घायल भेल रहय।
घटनाक बादेसं पुलिस मुकेश चौधरीके ताकि रहल छल। मुकेशके पकड़ेबाक बाद मिथिला बम काण्डमे नव मोड़ ऐबाक सम्भावना अछि। एहि कांडमे दर्जनोँ व्यक्ति फसि सकैत अछि। मिथिला बमकाण्डक वर्तमान प्रहरी महानिरीक्षक उपेन्द्र कान्त अर्याल अनुसन्धान केने छलथि। मुकेश जनकपुरक संचार उद्यमी अरुण सिंघानियाक हत्या काण्डमे सेहो संलग्नता रहल पुलिस जनौलक अछि।
मुकेश चौधरीक तराई क्षेत्रक किछु नेतासभ संग सेहो संलग्नता रहल आ नेतासभ बेर–बेर संरक्षण करैत आएल विभिन्न संचार माध्यम सभमे खबर अबैत रहल अछि।
मुकेश केँ पकड़ेलाक बाद जनकपुर क्षेत्रक राजनीतिमे उथलपुथल ऐबाक चर्चा शुरु अछि।
सुरक्षा स्रोतक अनुसार एक दू दिन भीतर मुकेश केँ नेपाल पुलिस काठमाण्डूमे सार्वजनिक करत।

0 comments:

Post a Comment