Tuesday, March 11, 2014

कामेश्वर झा बनला SHEC क प्रमुख

पटना : राज्यमे उच्च शिक्षाक स्थिति सुधारबा आ गुणवत्ता बढ़ेबा लेल राज्य उच्च शिक्षा परिषद (SHEC) क गठन कएल गेल अछि। शिक्षा मंत्री पीके शाहीक अध्यक्षतामे गठित एहि काउंसिलक उपाध्यक्ष शिक्षाविद् आ पूर्व प्राचार्य डॉ. कामेश्वर झा हेता।
जल्दिये एकर अधिसूचना जारी होएत। राज्यमे पहिल बेर गठित स्टेट हायर एजुकेशन काउंसिल पूर्ण रुपे अस्तित्वमे आएत। एहिमे तीन विश्वविद्यालयक कुलपति केँ सदस्य बनाएल गेल अछि। अधिसूचना जारी होएबाक बादे इ साफ होएत जे कोन कुलपति केँ एहिमे जगह भेटल। SHEC क मुख्य काज उच्च शिक्षामे भऽ रहल तमाम क्रियाकलाप पर लगातार नजरि राखब रहत। एकरा संगे उच्च शिक्षा केँ नीक बनेबाक लेल योजना बनाएगा जाएत। बदलैत समयक संग कोर्स पैटर्न आ कोर्स प्लान केँ सशक्त बनेबा पर ध्यान देल जाएत। बताबी जे डा॰ कामेश्वर झा ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कतोको कॉलेजक प्राचार्य रहल छथि। डा॰ झा सरदार बल्लभ भाई पटेल पर किताब सेहो लिखने छथि जे प्रशंसीय छल।

0 comments:

Post a Comment