Friday, April 4, 2014

नहाय-खायक संग महापावनि शुरू, खरना आइ

खगड़िया/सीतामढ़ी : नहाय-खायक संगे लोक आस्थाक महापावनि चारि दिनी चैती छैठ बृहस्पतिसं शुरू भऽ गेल। एकरा संगे मिथिला क्षेत्र भक्तिमय भऽ गेल। सभ ठाम शारदा सिन्हा द्वारा गाओल छठि गीतक धूम अछि। पोखड़ि-नदी पर घाट बनेबाक काज जारी अछि। प्रवासी मैथिली अप्पन आंगन पहुंचि रहल छथि। शुक्र केँ महापावनिक दोसर दिन खरना होएत। एहि दिन व्रत रखनिहार लोक भरि दिन उपवास रखथि। सांझक बाद गुड़ आ साठीक चौर सं बनल खीर सं पूजा करतथि आ एकरा बाद व्रती केराक पात पर साठीक खीर आ सोहारीक प्रसाद ग्रहण करतथि। शनि केँ अस्तचलगामी भगवान सूर्य आ रवि क भोर उदीयमान सूर्य केँ अ‌र्घ्य देलाक बाद पारन करतथि।

0 comments:

Post a Comment