दरभंगा : गर्मी मे मिथिला दिस जाय वाली ट्रेन मे भीड़ के देखैत रेलवे विशेष प्रीमियम ट्रेन चलेबाक घोसणा कऽ देलक अछि। एहि ट्रेनक किराया, आन ट्रेनक हिसाबे फाजिल रहत आ किराया सेहो हवाई जहाज जेँका डिमांडक आधार पर तय होएत। माने जतेक देरी सं टिकट लेब, किराया ओतेक महग होएत। अखन धरि रेलवे दिल्ली आ मुंबई लेल प्रीमियम ट्रेन चलौने छल, मुदा आब पहिल बेर दरभंगा लेल एहि ट्रेनक घोषणा कएल गेल अछि।
उत्तर रेलवे कहलक अछि जे इ ट्रेन सप्ताहमे दू दिन चलत। पुरानी दिल्ली आ दरभंगा क बीच कुल 38 ट्रिप चलाएल जाएत। 2 मई सं 4 जुलाई धरि पुरानी दिल्ली सं दरभंगा क लेल(मंगल आ शुक्र केँ) इ प्रीमियम ट्रेन भोर 11.15 बजे बिदा होएत आ अगिला दिन भोर 8 बजे दरभंगा पहुंचत। आपसी मे दरभंगा सं इ ट्रेन बुध आ शनिवार केँ दुपहर 12 बजे चलत आ अगिला दिन भोर 9 बजे पुरानी दिल्ली रेलवे स्टेशन पहुंचत। इ ट्रेन लखनऊ, सीवान आ मुजफ्फरपुर स्टेशनों पर रुकत।

0 comments:
Post a Comment