दरभंगा : महाराजा महेश ठाकुर मिथिला महाविद्यालय मे बीतल रवि केँ आयोजित समारोह मे डॉ.बैद्यनाथ झा द्वारा रचित यात्रा साहित्य क लोकार्पण भेल। समारोहक अध्यक्षता करैत डॉ.सुरेश्वर झा कहलनि जे मैथिली मे सभ विधा मे तेजी सं लेखन भऽ रहल अछि। समारोह केँ डॉ.विद्यानाथ झा, उदयचंद्र झा विनोद, डॉ. भीमनाथ झा, बैद्यनाथ चौधरी आ डॉ.फूलचंद्र मिश्र रमण रचना लेल लेखक क प्रशंसा केलनि। डॉ. मुरलीधर झाक संचालनमे भेल कार्यक्रममे डॉ.कृष्णानंद मिश्र स्वागत गान आ धन्यवाद ज्ञापन बिहार राज्य विवि एवं महाविद्यालय कर्मचारी महासंघक अध्यक्ष गंगाप्रसाद झा केलनि। डॉ. रमेश चंद्र झा, शांतिनाथ सिंह ठाकुर आ फूलचंद्र झा 'प्रवीण' पोथीक समीक्षा प्रस्तुत केलन्हि।
0 comments:
Post a Comment