Monday, April 7, 2014

राजद क घोषणापत्र मैथिली मे कियैक नहि ?

पटना : राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद बीतल रवि केँ लोकसभा चुनाव लेल काज योजनाक रूपे अप्पन दलक घोषणा पत्र हिन्दी आ उर्दू मे जारी केलनि। बिहार केँ विशेष राज्यक दर्जा भेटत, किसान केँ मनरेगा माध्यमे कृषि श्रमिक उपलब्ध करेता, सवर्ण जातिक गरीब केँ आरक्षण, सभ बुजुर्ग आदि केँ पेंशन, उत्तरी बिहारक बाढ़िक समस्या केँ जड़ि सं मेटेबा संगे बहुतो वादा कएल गेल अछि।

अखन जाहि मुद्दा पर जोर देब(घोषणापत्र सेहो महत्तवपूर्ण) ओ मैथिलीक मुद्दा पर, क्षेत्रीय राजद पार्टी अप्पन घोषणापत्र मैथिली मे कियैक नहि जारी केलक ? हमरा एहि सं मतलब नहि जे राजद हिँदी आ उर्दू मे घोषणापत्र कियैक जारी केलक, हमरा एहि सं मतलब जे मैथिली मे कियैक नहि केलनि ? बिहार मे हिँदी, उर्दू आ मैथिली संविधानक सूचीबद्ध भाषा अछि तखन फेर मैथिलीक उपेक्षा कियैक ?
राजद मे रघुनाथ झा, पप्पू यादव, अब्दुलबारी सिद्दकी आदि मिथिला सं प्रमुख नेता छथि तखन फेर की इ सभ मैथिली सं मुंह मोड़ने छथि जौँ हं तऽ कियैक ? आ जौँ नहि तऽ घोषणापत्र मैथिली मे कियैक नहि ? राजद क मैथिलीक मुद्दा पर दुमुंही नीति कियैक ? की इ नेता सभ मिथिलावासी केँ मूर्ख बना रहल छथि ?

कनिक सोचू, जबाब भेटि जाएत।

(इ लेखक क अप्पन विचार अछि)

0 comments:

Post a Comment