Wednesday, May 7, 2014

मुजफ्फरपुर मे भेल 62% मतदान

मुजफ्फरपुर : लोकसभा चुनावक आठिम चरणमे मिथिला मे वोटिंग संपन्न भऽ गेल। आठिम चरणक चुनावमे मुजफ्फरपुर मे सभसं फाजिल 61.92% वोटिँग भेल ओतहि शिवहरमे 55.5%, सीतामढ़ी मे 54%, हाजीपुर मे 56% आ उजियारपुर मे सेहो 56% मतदान भेल।

शिवहर लोकसभा क्षेत्रक पकड़ी दयाल ब्लॉक मे बूथ संख्या-50 पर लोक सभ वोटक बहिष्कार कऽ देलनि। शिवहरक चमनपुरक बूथ संख्या 131 मे ईवीएम खराब हेबा सं वोटिंग शुरू मे देरी भेल। आजुक चुनाव मे लगातार छिटपुट घटनाक खबरि अबैत रहैल।

0 comments:

Post a Comment