दरभंगा : देश-विदेश मे दरभंगाक मान बढ़ौनिहार एएनएम मार्था डोड्रे केँ आब झारखंडमे पोलियो उन्मूलन अभियान केँ आगू बढ़ेबाक इच्छा अछि। पोलियो उन्मूलन काजक लेल अमेरिकामे सम्मानित एएनएम मार्था नेशनल फ्लोरेंस नाइटिंगेल अवार्ड 2014 क लेल चयनित हेबा पर खुश छथि। कुशेश्वरस्थान पीएचसीक एएनएम मार्था केँ 12 मई केँ राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जी सम्मानित करता।
टीमक सहयोग भेटल : मार्था कहैत छथि जे पोलियो उन्मूलनमे पूरा टीमक सहयोग भेटल। सीएस, डब्ल्यूएचओ, यूनिसेफ आदिक अधिकारी प्रोत्साहित करैत रहला।
मार्था दरभंगा लेल टा नहि, देश भरि मे पोलियो उन्मूलन लेल समर्पित छथि। इ समर्पण हिनका देश-विदेश मे कतेको सम्मान सं सम्मानित करेलक। मार्था 27 अप्रैल 2005 केँ एतय योगदान देने छली आ तखन सं एहि अभियानमे जुड़ल छथि। हिनक पति बोआस बार्गो सेना सं अवकाश प्राप्त छथि। मार्था झारखंडक डाल्टेनगंज क कूड़पानी गामक मूल निवासी छथि। पति आ हिनक तीनू बेटी झारखंडक डाल्टेनगंजमे रहैत छथि।

0 comments:
Post a Comment