Thursday, May 15, 2014

हावड़ा लेल पहिल बेर लगन एक्सप्रेस स्पेशल ट्रेन

रक्सौल : अखन धरि पावनिक मौका पर रेलवे होली-छठ स्पेशन ट्रेन चलाबैत छल मुदा पहिल बेर लगन स्पेशल ट्रेन चलेबाक घोषणा केलक अछि। विवाह, उपनयन आदि मांगलिक तिथि केँ देखैत यात्रीक सुविधा लेल विशेष गाड़ी चला रहल अछि।

रक्सौल सं हावड़ाक बीच दू जोड़ी ट्रेनक परिचालन होएत। हावड़ा-रक्सौल ट्रेनक समय पर इ स्पेशल ट्रेन चलत। रक्सौल सं 19 आ 26 मई केँ 03044 स्पेशल सांझ 7.45 बजे हावड़ा लेल चलत जे दरभंगा जंकशन पर राति 11.45 बजे पहुंचत आ राति 12.15 बजे अगिला दिन एतहि सं खुजत। जे ओहि दिन दुपहरिया 12.15 बजे हावड़ा पहुंचत।
हावड़ा सं रक्सौलक लेल 03043 स्पेशल 18 आ 25 मई केँ राति 10.50 बजे चलत। दरभंगा मे अगिला दिन भोर 11 बजे एकर आगमन होएत। सांझ मे 4.05 बजे इ ट्रेन रक्सौल पहुंचत। एहिमे स्लीपर, एसी-टू, एसी-थ्री क संगे सामान्य बोगी रहत। पूर्व रेलवे एकर सूचना जारी कऽ देलक अछि मुदा समस्तीपुर रेल मंडल केँ एकर सूचना अखन धरि नहि अछि।

0 comments:

Post a Comment