Sunday, May 11, 2014

संजय साह केँ महोत्तरी पुलिस भोरमे सिरहा लऽ जाएत

सुजीतकुमार झा
जनकपुर :
जलेश्वर कारागारमे स्थान अभावक कारण राखए नहि मानलाक बाद बितल चारि दिनसं जिलाक प्रहरी कार्यालय महोत्तरीक हिरासत कक्षमे रहल निलम्बित सभासद संजय कुमार साहके रविदिन सिरहा पठावएके निर्णय कएल गेल गेल अछि ।
जिल्ला अदालत धनुषाक बेंच नं.३ क न्यायधिश लोकजंग शाहक एकल इजलाशसँ निलम्बित सभासद साहके सिरहा कारागार पठएबाक निर्णय कएल गेल अछि । साहके सोमदिन भोरमे सिरहा कारागार पठाओल जाएत जानकारी जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरी जनौलक अछि ।

दू वर्ष पूर्व जनकपुरक रामानन्द चौकपर भेल बम विस्फोटमे संलग्न रहल आरोपमे पुलिस एक हप्ता पूर्व साहके विरगंजक छपकैयासँ पक्राउ कएल गेल छल । जिल्ला अदालत धनुषा बितल वृहस्पतिदिन पुपक्र्षक लेल जलेश्वर कारागार पठएबाक निर्णय कएने छल । मुदा १ सय ३५ गोटेक क्षमता रहल ओ जलेश्वर कारागारमे ४ सय ४९ गोटे कैदी पहिनहिसँ रहलासँ ओ कारागार ओहिठाम राखए नहि मानने छल ।
म्ुदा मिथिला बम काण्डक अन्य अभियुक्तसभ एखनो जलेश्वर कारागारमे रहल अछि । कैदीक संख्या अत्यधिक होएब प्रमख कारण कहल गेल होइतो बम काण्डक सम्पूर्ण अभियुक्तसभ एक दोसरके नाम कहलाक कारण एकहि ठाममे रखलापर गेंग वारक खतरा रहलासँ सेहो साहके ओहिठाम राखए जेल प्रशासन असमर्थता जाहेर कएने स्रोत जनौलक अछि ।

मिथिला राज्यक माँग करैत जनकपुरक रामानन्द चौकपर धर्ना दऽ रहल बेरमे २०६९ बैशाख १८ गते भेल बम विस्फोटमे ५ गोटे शहीद भेल छलथि तऽ ३२ गोटेसँ बेसी बढी व्यक्ति घाइल भेल छलथि । ओ काण्डमे जिल्ला अदालत एहिसँ पहिनहि जनतान्त्रिक तराइ मुक्ति मोर्चा राजन मुक्ति समुहक प्रमुख रंजित झा, तराइ मधेश विद्यार्थी लिब्रेसन फ्रन्टक अध्यक्ष मुकेश चौधरी, सुरेश कुमार कर्ण, रिपेन्द्र झा र मुकेश कुमार कर्णके पुपक्र्षक लेल थुनामे राखि चुकल अछि ।
धनुषाक प्रहरी उपरीक्षक उत्तमराज सुवेदीक अनुसार मिथिला बम काण्डमे दू गोटे अभियुक्त बाहेक सभ पक्राउ परि चुकल अछि । तराइ कोब्राक नागराज कहलएबला उमेश तिवारी आ संयुक्त जनतान्त्रिक तराइ मुक्ति मोर्चाक राजन प्रताप कहएबला प्रफुल्ल यादवकके पक्राउ करए विशेष पुलिस परिचालन कएल गेल ओ जानकारी देलन्हि अछि ।

0 comments:

Post a Comment