Friday, July 4, 2014

विकासक लेल मिथिला राज्य जरुरी : रामचंद्र पासवान

समस्तीपुर : मिथिलाक संपूर्ण विकासक लेल पृथक मिथिला राज्य जरुरी अछि। करीब पांच करोड़ मैथिली भाषी लेल मिथिलाक सभ सांसद केँ एकजुट भऽ संसद मे आवाज उठेबाक बेर अछि। मिथिला राज्यक मांग करैत हम सभ सांसदक एकटा प्रतिनिधिमंडल बना कऽ जल्दिये प्रधानमंत्री नरेँद्र मोदी सं भेँट करबा लेल दिल्ली जाएब।

इ गप्प बीतल काल्हि समस्तीपुरक सांसद रामचंद्र पासवान अप्पन अभिनंदन समारोह मे हायाघाट मे कहलनि। ओ कहलनि जे हायाघाटक अशोक पेपर मिल बिकबाक बाट पर अछि, एकरा चालू करौनाय हमर पहिल प्राथमिकता होएत। मौका पर विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव बैद्यनाथ चौधरी बैजू सांसद केँ मिथिला राज लेल लड़ाई मे संग देबा लेल धन्यवाद दैत मिथिला राज्यक लेल आर पारक लड़ाई लेल तैयार छी, कहलनि। मौका पर विधायक विश्वनाथ पासवान, आशीष चौधरी, दिलीप पासवान आदि उपस्थित छलथि।

0 comments:

Post a Comment