Tuesday, September 23, 2014

13 अक्टूबर कें रिलीज़ होएत 'मीत हमर जनम जनम के'

समस्तीपुर : जे एम फिल्मस प्रोडक्शनक बैनर तर बनल मैथिली सिनेमा 'मीत हमर जनम जनम के' मिथिलाक सिनेमाघर मे 13 अक्टूबर कें प्रदर्शित होएत।
 इ सिनेमा बड्ड कम समय मे तैयार अछि आ फिल्म नव तकनीक क संग नव नव कलाकारक संग आबि रहल अछि।
 फिल्मक केँद्र मे अभिनेता विकास झा छथि, फिल्ममे संगीत सेहो हिनके द्वारा देल गेल अछि। फ़िल्मक अभिनेत्री अर्चना सिंह छथि। फिल्म मे अप्पन स्वर दीपा नारायण, इंदु सोनाली, विकास झा, मनोज मिश्रा आ पामेला जैन देने छथि। फिल्मक निर्माता मुंदराज नागर आ संजय पोसवाल छथि। फिल्मक निर्देशक संतोष राणा छथि।

0 comments:

Post a Comment