Tuesday, September 23, 2014

साहित्य संग्रहालय बनय दिनकर क घर !

बेगूसराय : राष्ट्रकवि रामधारी सिंह दिनकर क जन्मस्थली सिमरियामे हुनक पैतृक आवास केँ ‘साहित्य संग्रहालय’ बनेबाक मांग तीन दशकसं बेसी समयसं लटकल अछि। दिनकरक पुत्र केदार सिंहक कहब अछि जे बड्ड शौकसं बाबूजी गाममे इ घर आ दलान बनौने छलथि। पटना आ दिल्लीसं जखन अखनो गाम अबैत छलथि तखन एतहि बैसार जमैत छल।
 एतहि ओ अप्पन संगी-साथी, ग्रामीणसं भेँट करैत छलथि आ हुनका सभकेँ अप्पन रचना सुनाबैत छलथि। फुर्सतक क्षणमे एतहि ओ लिखबाक काज सेहो करैत छलथि। बताबी जे ब्रिटेनमे प्रख्यात कवि जान किट्स केँ लंदन स्थित घरकेँ साहित्य संग्रहालय बनाएल गेल अछि जतय हुनकासं जुड़ल सभ सामग्री आ रचना सहेज कऽ राखल गेल अछि। इ लंदनक प्रमुख पर्यटन स्थलमे सं अछि मुदा अप्पन देशमे राष्ट्रकवि दिनकरक घर उपेक्षाक शिकार अछि। राष्ट्रकवि दिनकर केर जन्मस्थल सिमरिया, आजादीक 66 बरखक बादो सक्रिय रेलवे स्टेशन नहि बनि सकल अछि आ एकर स्वरूप हाल्ट सन अछि जतय पैघ ट्रेन नहि रूकैत अछि। दिनकरक नातिन छाया ठाकुर कहलनि जे दिनकर संग्रहालयक मांग निश्चित रुपे पूरा होएबाक चाही। दिनकर केर जन्म 23 सितंबर 1908 केँ मिथिलाक बेगूसराय जिलाक सिमरियामे भेल छल आ हुनक मृत्यु 24 अप्रैल 1974 केँ भेल छल।

0 comments:

Post a Comment