दरभंगा : मैथिली फिल्म 'दीवाना आहाँ कें प्यार मे' अप्पन अभिनय सं प्रभावित करौनिहाइर अभिनेत्री जेबा अंजुम कौशर मिस इंडिया कांटिनेंट क पुरस्कार जीतलनि।
भोपाल मे आयोजित एहि कार्यक्रम मे देशभरि सं आयल कतेको प्रतिभागी क बीच वो इ पुरस्कार जीतलनि बताबी जे कौशर मैथिली फ़िल्मक अलावे अदालत, जोधा अकबर आ सावधान इंडिया आदि हिन्दीक प्रमुख सीरियल आदि मे सेहो काज क चुकल छथि। आब हिनक अगिला निशाना मिस इंडिया पर अछि। मिथिला प्राइम दिस सं 'दीवाना आहाँक प्यार मे' क टीम आ जेबा अंजुम कौशर कें सफलताक ढाकी भरी शुभकामना!
0 comments:
Post a Comment