जनकपुर :
विद्यापति पुरस्कार कोषक अगिला वर्षक घोषणा भेल पुरस्कार एखनधरि नहि बटाएल समयमे मैथिली साहित्यकार सभा ओ पुरस्कारक राशी शीघ्र प्रदान करबाक लेल माँग कएलक अछि ।
दू लाखक पुरस्कार मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार डा. रेवती रमण लालके आ एक÷एक लाखक पुरस्कार चारि गोटेके प्रदान करबाक बितल वर्ष कातिक महिनामे विद्यापति पुरस्कार कोष घोषणा कएने छल । मुदा एखनधरि नहि वितरण भेलाक बाद मैथिली साहित्यकार सभा ओ पुरस्कार शीघ्र वितरण कएल जाए ताहिके लेल दबाब बना रहल अछि ।
सभाक सभापाल प्रेमविदेह ललन रविदिन एक प्रेस विज्ञप्ति प्रकाशित कऽ अविलम्ब पुरस्कार प्रदान करबाक माँग सँग कोषक कार्यविधि आ मापदण्डमे किछु दफा संशोधन आ थप करएके माँग कएलक अछि ।
मैथिली भाषा साहित्य कला संस्कृतिक क्षेत्रमे सतत योगदान देनिहार दिवंगत व्यक्तित्वके सेहो पुरस्कृत कएल जाएत, मैथिली अनुसन्धान पुरस्कार आ मैथिली अनुवाद पुरस्कारमेसँ एक वर्षमे कोनो एकटा मात्र देल जाए, मैथिली कला संस्कृति पुरस्कार कलाक दू गोटे विद्यामे प्रत्येक वर्ष दू गोटेके देल जाए, गैरनेपाली नागरिकके पुरस्कृत करबाक व्यवस्था हटाओल जाए माँग कएल गेल अछि ।
नेपालभरि मैथिली साहित्यकार, विद्वान आ कलाकारसभक विवरण संकलन कऽ प्रकाशित कएल जाए, कोष संचालन सम्बन्धी कार्यविधि तथा मापदण्डक भीतर रहि कऽ पुरस्कार वितरण, आर्थिक कारोबार आ संस्थागत क्रियाकलाप कएल जाए, कातिक धवल त्रयोदशीक दिन विद्यापति स्मृति समारोहक आयोजना कएल जाए जाहिमे विद्यापति पुरस्कारसभक घोषणा आ पुरस्कार वितरण सेहो कएल जाए रहल अछि । सँगहि प्रत्येक वर्ष एकटा कार्यक्रम राखि कोषक वार्षिक प्रतिवेदन आ आर्थिक प्रस्तुत करबाक सेहो मैथिली साहित्यकार सभा माँग कएलक अछि ।
0 comments:
Post a Comment