भुवनेश्वर : मिथिला संस्कूति परिषद 4 नवंबर कें ओडिशाक राजधानी मे विद्यापति पर्व समारोह मनायत। कटक रोड फ्लाइओवर लग अल्टीमेट टावर मे चार नवंबर क साँझ छह बजे सं कार्यक्रम शुरू होएत।
संस्था क कार्यकारी अध्यक्ष अरविंद झा आ सचिव मणिशकर ठाकुर ओडिशा मे रहनिहार सभ मिथिलावासी सं अनुरोध कएलन्हि जे कार्यक्रम मे आबि कार्यक्रम कें सफल बनाबी। संस्था क कोषाध्यक्ष पुण्यानंद चौधरी बतौलनि जे विद्यापति गीत गेबा लेल झारखण्ड क जमशेदपुर सं टी सीरीज क गायक मिथिलेश मिश्रा अप्पन टीम क संग समारोह कें सुरमय करत।

0 comments:
Post a Comment