बेगूसराय : कहियो मिथिलाक घर मे कंसार मे भुजल गेल भुजाक बिना साँझक जलखै नहि होइत छल मुदा बदलैत परिवेश मे बाजार एहि कुटीर उद्योगक अस्तित्व पर प्रश्न ठाढ़ क रहल अछि। कानू समाजक सोँझा रोजी-रोटीक समस्या ठाढ़ भ गेल अछि। आब एहि समाजक लोकसभ कंसार कें उद्योगक दर्जा देबाक आ कंसार आयोगक गठनक मांग क रहल छथि।
कानू विकास संघक मानी त जिला भरी मे 4570 कंसार चली रहल अछि जाहि मे 285 कंसार विधवा द्वारा संचालित अछि। जाहि दिन कंसार नहि जरल, ओहि दिन एहि परिवारक लोक कें पाइन पीबी सुतय परइ अछि। सहुरी गामक कंसारन कविता देवी कहैत छथि बरसात, आंधी-तूफानक दिनमे कंसार चलेनाय मुश्किल होइत अछि आ भूखे सुतबाक हालत बनि जाइत अछि।
संघक उपसचिव नंदलाल साह बतौलनि जे पहिले आसानी सं सुखल पत्ता आ जारन भेटि जाइत छल मुदा आब इहो कीनय परैत अछि आ दोसर दिस पैकेट वाला भुजा आब गाम-गाम मे उपलब्ध अछि जाहि सं कंसार चलौनिहारक रोजी-रोटी प्रभावित भेल अछि। साह कहैत छथि जे समय आबि गेल अछि जे आब कंसार आयोगक गठन होयबाक चाही आ एकरा उद्योगक दर्जा भेटबाक चाही।

.jpg)
0 comments:
Post a Comment