Friday, November 21, 2014

मोदी क जनकपुर दौरा रद्द, विरोध मे भेल प्रदर्शन

नई दिल्ली/जनकपुर : प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक जनकपुर दौरा रद्द भ गेल मुदा सूत्रक मानी त हुनक लुंबिनी आओर मुक्तिनाथक यात्रा यथावत अछि। मोदी पाहिले राम बारात मे शामिल भए जनकपुर पहुँचबाक कार्यक्रम छल। हुनक दौरा रद्द होयबाक बाद जनकपुर मे विरोध प्रदर्शन भ रहल अछि।

नेपालक भौतिक बुनियादी ढांचा आ परिवहन प्रबंधन मंत्री बिमलेंद्र निधि कहलनि जे, ‘हमरा इ कहैत बड्ड दुख भ रहल अछि जे काठमांडू मे भारतीय दूतावास नेपालक विदेश मंत्रालय कें समाद देलक अछि जे भारतक प्रधानमंत्री जनकपुर दौरा रद्द क देलक अछि।'

मोदी 18 सार्क शिखर सम्मेलनक औपचारिक उद्घाटन लेल एक दिन पहिले जनकपुर ऐबाक योजना बनाउने छलथि. प्रधानमंत्री मोदी अगस्त पहिल सप्ताहमे नेपालक आधिकारिक यात्राक दौरान जनकपुर ऐबाक वादा केने छलथि। दौरा कें ल भारतीय सुरक्षा विशेष दल जनकपुरक दौरा केने छल आ संगे नेपाल-भारतक सीमा पर सुरक्षाक पर एलर्ट छल।

0 comments:

Post a Comment