मुंबई : मुम्बईया मैथिल द्वारा विद्यापति पर्व समारोहक तैयारी शुरू भ गेल अछि। लाखों मैथिली भाषी द्वारा मनायल जाय वला एहि भव्य समारोहक रूपरेखा कांदिवली स्थित बे-लीफ होटल मे तैयार कयल गेल।
एहि मौका पर मिथिला दर्पणक संपादक आ कार्यक्रमक संयोजक संजय झा, उद्योगपति संदीप झा, विजय झा आ आयोजक सदस्य रोहन झा आदि उपस्थित छलथि। संयोजक संजय झा बतौलनि जे 4 जनवरी,2015 कें कांदिवली स्थित सेंट लॉरेंस मैदान मे होबय वला कार्यक्रममे मिथिलाक सांस्कृतिक, सामाजिक आ आर्थिक हालात पर चर्चा आओर विकासक संगे कवि सम्मेलन होयत। कार्यक्रम मे आकाशवाणी पटनाक लोकगायिका रंजना झा, ज्ञानेश्वर दूबे, सरोज सुमन लगाइत बहुतो कलाकार अप्पन प्रस्तुति देता।

0 comments:
Post a Comment